• :
  • :
    • On Air
    • Mithilanchal dallan
    • Up Next
    • Mithilanchal News

समाचार

शहिद कपके आजुक खेलमे माइलस्टोन आ ओम कोचिंग सेन्टर विजयी,काइल्ह स क्वाटर फाइनल खेल सुरु हएत

मिथिलान्चल समाचारदाता
जनकपुरधाम,चैत ४ गते ।
जनकपुरमे जारी शहिद कप टी २० कपके पहिल खेलमे बौहर्वा हरवइत माइलस्टोन स्कुल ५० रनस विजयी भेल अछि । स्थानिय वारह विघा मैदानमे खेलल गेल खेलमे माइलस्टोन स्कुल टस जित क व्याटिगं करैत निर्धारित २० अभरमे सात विकेटके क्षतिमे १४२ रन वनौने छल । १४३ रनक विजयी लक्ष्यके साथ मैदानमे उतरल बौहर्वा टिम १६ दसमलव १ अभरमे सभ विकेटके क्षतिमे ९३ रन मात्रे वनावए सकल । बोहर्वा टिमके सस्तेमे समेटएमे बलर सुसन्त मण्डल ३,मो अन्सारुल ३ आ चन्दन झाके २ विकेट महत्वपुर्ण रहल छल । तहिना माइल्सस्टोन टिमके जितमे  यस राजके ३१ ब्लमे नटआउट शानदार ५७ रन आ मो अन्सारुलके ३७ रन महत्वपुर्ण हात रहल छल । खेलके म्यान अफ दि म्याच माइलस्टोनके अलराउन्डर खेल देखौने मो अन्सारुले प्रदान कएलगेल ।
तहिना आइए सम्पन्न दोसर खेलमे ओम कोचिगं सेन्टर परशुराम क्लव पुरनदाहाके हरवइत ४ विकेट स विजयी भेल अछि । टस जितक व्याटिगं सुरु कएने पुरनदाहा टिम निर्धारित १५ दसमलव ४ अभरमे सभ विकेटक क्षतिमे ९३ रन वनौने छल । ९४ रनक छोट लक्ष्य लक मैदानमे उतरल ओम कोचिंग सेन्टर १९ दसमलव ५ अभरमे ६ विकेटक क्षतिमे विजयी लक्ष्य पुरा कएने छल । कोचीगं सेन्टरके जीतमे मिथलेशके नटआउट ३९ रन आ समिर के ३१ रन तथा बलीगं दिस सरामराज ३ पवन ,सचिन आ मिथलेशके समान २–२ विकेट महत्वपुर्ण रहल छल । पुरनदाहा टिममे सर्वाधिक १५ रन देवसरण वनौने छल त अनिल आ उदगार समान १३–१३ रन वनौने छल त वलिग दिस उदगार २ विकेट लेने छल ।
कायल्ह स शहिद कप के क्वाटर फाइनल खेल सुरु भरहल अछि । क्वाटर फाइनलके पहिल खेल बाल्मीकी युवा कल्व वलवा टोल आ राज एलेभन देवी चौक विच आ दोसर क्वाटर फाइनल रुपेस एलेभन आ सुजीत एलेभन मनरा विच हएवाक जनाओलगेल अछि ।
 


यसमा तपाईको मत